अलीनगर बीपीएम गोलीकांड के एक आरोपी सहरसा से गिरफ्तार, पुलिस के बड़ी कामयाबी

दरभंगा जिला के अलीनगर थाना क्षेत्र अंतर्गत दसौत गांव में भेल बीपीएम पंकज मिश्रा गोलीकांड मामले में पुलिस के बड़ी सफलता मिलल अछि। एहि केस में शामिल एक आरोपी के सहरसा जिला से गिरफ्तार कयल गेल अछि।
गिरफ्तार आरोपी के पहचान सहरसा जिले के सदर थाना क्षेत्र अंतर्गत रूपनगर निवासी पप्पू चौधरी के रूप में कयल गेल अछि। पुलिस टीम ओकरा सहरसा पुलिस के सहयोग से दबोचलक।
🚔 गिरफ्तारी कैसे भेल
अलीनगर थानाध्यक्ष रंजीत कुमार शर्मा आ एएसआई विकास कुमार के नेतृत्व में पुलिस टीम छापेमारी करि आरोपी के गिरफ्तार कयलक। पुलिस के मुताबिक, आरोपी पर अलीनगर थाना कांड संख्या 76/25 के तहत मामला दर्ज अछि आ आगे के कार्रवाई चलि रहल अछि।
🔫 2 अप्रैल 2025 के घटना
जानकारी के अनुसार, 2 अप्रैल 2025 के संध्या लगभग 7:30 बजे बीपीएम पंकज मिश्रा अपन घर के दरवाजा पर कागजी काम करि रहल छलाह। ओहि समय तीन अपराधी मोटरसाइकिल पर सवार भऽ कऽ ओतय पहुँचल।
दू अपराधी गेट पर पहुँचि पंकज मिश्रा से बातचीत शुरू कएलक। बातचीत के दौरान अचानक पिस्टल निकालि गोली चलाबै के कोशिश कएल गेल।
पहिल फायरिंग मिसफायर भऽ गेल, मुदा दोसर गोली पंकज मिश्रा के पेट में लागि गेल। घायल होइतो ओ आरोपी सभ के साथ संघर्ष करैत रहलाह। बाद में गोली चलै के आवाज सुनि परिवार के लोक बाहर निकलल, तखन अपराधी मौका पाबि भागि गेल।
🕵️ पुलिस जांच जारी
घटना के बाद से पुलिस लगातार जांच में जुटल अछि। अधिकारी सभ के अनुसार, तत्कालीन एसडीपीओ आ थानाध्यक्ष सेहो एहि केस के जांच में सक्रिय भूमिका निभौने छथि। पुलिस के कहब अछि जे अन्य आरोपी के गिरफ्तारी लेल छापेमारी लगातार जारी अछि।
